Tuesday, March 15, 2011

माय नहि ले हमर जान

तोरे गर्भ में पलि रहल छी

तोरे खुन सं अछि संज्ञान

हरदम अपन पेट निहारी के

किया करै छ s पुतक ध्यान

बेटा नहि बेटीए सही

छी तोरे संतान

माय नहि ले हमर जान
<\p>

किया लैत छ s विद्युत परीक्षा

कानून क s नहि छ s कोनो ज्ञान

ककरो कनियो भनक लग्तेई त s

नहि बचतौ कुलक मर्यादा-मान

कोना चालत श्रृष्टि बेटी बिन

यदि चाहत सब बेटे संतान

माय नहि ले हमर जान
<\p>

युग-युग सँ हमरे पर हरदम

होएत अछि सब्त परिणाम

सीता, द्रोपदी, अहिल्या व मीरा

भेलीय सब युग में बदनाम

आब त s धरती पर एबा सँ पहिने

लैत अछि गर्भे में प्राण

माय नहि ले हमर जान
<\p>

बिसरी गेला s तू राजा जनक क s

हुनकर यश कीर्ति आर नाम

देह राखी विदेह कहबाथि

हुनका मात्र बेटीये संतान

जगत जननी सीता क s सदिखन

लैत अछि, राम से पहिने नाम

माय नहि ले हमर जान
<\p>

Tuesday, December 7, 2010

Mithila

Mithila is a region of north eastern India and some part of Nepal. King Raja Janak is king of this area in Ramayan Era.